Shyamsundar Yadav लिखै छथि- मिथिला–मैथिलीक लेल एकटा गौरवमय ऐतिहासिक कार्यः मैथिली मिथिलाक पताखा लए सप्तरीक राजविराजस ‘मिथिला देवघर यात्रा ...
मिथिला–मैथिलीक लेल एकटा गौरवमय ऐतिहासिक कार्यः मैथिली मिथिलाक पताखा लए सप्तरीक राजविराजस ‘मिथिला देवघर यात्रा २०७६’ मे ३२ गोटा मैथिली अभियानी गत साउन २१ गते मैथिली भवनस’ यात्रा शुभारम्भ कएने छल । सम्पूर्ण यात्री सफलतापूर्वक देवघरमे मैथिली मिथिलाक लेल जलरिसाल क’ चुकल छथि ।
यात्री सभक उर्जा एवम् मातृभाषाप्रतिक प्रेम निश्चय सलामयोग्य अछि । एहि यात्रामे यात्रीसभके हौसला बुलन्द करवाक लेल नेपाल सङ्गीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिठानक प्राज्ञ मैथिली मिथिलाक सारथी आदरणीय धीरेन्द्र प्रेमर्षि भाइजी सेहो आएल छलथि ।
यात्रुसभके जोश भरैत टीका लगा कए ओ पीठ थपथपाबैत विदाइ कएने छलथि । जाहिमे राजविराजक उर्जावान बुढ्वा सारथी हमरा सभक प्रेरणाक श्रोत श्रद्धेय देवेन्द्र मिश्र धन्यवादक पात्र छथि ।
यात्री सभके विदाइ करैतकाल मैथिली साहित्य परिषद्क पूर्व अध्यक्ष प्रा. अमरकान्त झा, पूर्व अध्यक्ष शुभचन्द्र झा, परिषद्क अध्यक्ष अशोक कुमार झा, अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् नेपालकी अध्यक्ष करुणा झा, सखी बहिनपाक अध्यक्ष आरती झा, नेपाल निजामति कर्मचारी ट्रेड युनियनक जिल्ला अध्यक्ष अजय कुमार झा, मैथिली साहित्य साहित्य परिषद्का सचिव एवम् नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीक उपाध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव, वाड अध्यक्ष विनोद कुमार यादव, सङ्गोर मिथिला नेपालक तेजु मैथिल, समाजसेवी ललन कुमार यादव, कवि किरण झा सहितके व्यक्तिसभ शुभकामना देने छल ।