मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल ( MiLAF नेपाल ) द्वारा आयोजित भेल काल्हि आसिन २५ गते : मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितीक कार्यक्रम, श्रृ...
मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल ( MiLAF नेपाल ) द्वारा आयोजित भेल काल्हि आसिन २५ गते : मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितीक कार्यक्रम, श्रृंखला २३ आ रविराज साहक सम्मान कार्यक्रम ।
कार्यक्रमक शुरूवात 'डन्ट एभोइड मिथिला' गीति वाचन आ तेजू मैथिलद्वारा गोसाउनि गीतसँ भेल। प्रमुख अतिथि धीरेन्द्र प्रेमर्षिके मिलाफक संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्रद्वारा गमछा ओढाकऽ स्वागत-सम्मान कएल गेल आ नेपाल लोक स्टार २०७६ मे Top 6 धरि पहुचनिहार,मैथिली-भोजपूरी लोक गीतक प्रस्तुति दऽ मिथिला-मधेशक गौरव-गरिमा बढेनिहार,मिथिला-मधेशक गौरव रविराज साह जीके गमछा ओढाकऽ, अबीर लगाकऽ सम्मान पत्रसँ सम्मानित कएल गेल। रविराज साहद्वारा लोकस्टार प्रतियोगितामे गाएल चर्चामे रहल गीति प्रफमेन्स सभ लाइभ रूपसँ आ संगहि एकटा गीत ' गलबन्दी च्यातियो' सुष्मा झाक संग संयुक्त गाओल गेल।
रवि राज साह,सुष्मा झा,तेजू मैथिल,सुभाष वीरपुरिया, 'हेल्लो मिथिला' संचालिका/स्वर कोकिला रूपा झा,शीब शंकर यादव,सरोज राम,डा. रन्जित झा,किरण झा,जगिता कुमारी सिहंद्वारा गीत गाओल गेल। अशोक अमन,त्रीवेनी यादव,अभय प्रसाद यादव,ललिता कुमारी झा,प्रदीप यादव,देवेन्द्र मिश्र,नारायण मधुशाला,रामकुमार मंडलद्वारा कविता वाचन कएल गेल। रमन यादव धीरू,हृदय नारायण यादव, शम्भू श्री, धीरेन्द्र मधेशीद्वारा गजल वाचन कएल गेल। एकरा बाद प्रमुख अतिथि धीरेन्द्र प्रेमर्षि अपन स्वरमे आधा दर्जन एकल संगहि रूपा झा सङ्ग संयुक्त रूपमे बहुतरास जीवन्त मिथिलावर्णन/मिथिला अभियान गीत गौलनि आ कविताक पाँति,गजलक शेर आ अभिव्यक्ति सबसँ मैथिल अभियानी सबके थप प्रेरित आ जागृत केलनि। प्रस्तुतिक अन्तमे ओ दीयाबातीक शुभकामना देलनि मैथिली साहित्यक वाङ्गमय पुरूष Dr Rajendra Bimal के गजल गुनगुनाबैत -
" रामशक्ति आगूमे रावण ने टीकि सकत
रावण जखने डरए, तखने दीवाली छी
जगमग ई सृष्टी करए, तखने दीवाली छी
प्रेम-चेतना जागि पड़ए,तखने दीवाली छी "
" रामशक्ति आगूमे रावण ने टीकि सकत
रावण जखने डरए, तखने दीवाली छी
जगमग ई सृष्टी करए, तखने दीवाली छी
प्रेम-चेतना जागि पड़ए,तखने दीवाली छी "
मैसापक अध्यक्ष शतिस दत्त,पूर्व अध्यक्ष शुभचन्द्र झा, उपाध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव,स-सचिव पंकज झा संगहि मैथिली महिला परिष्दक अध्यक्ष शान्ति झा, संचारकर्मी विनयलाल कर्ण,नृत्य निर्देशक सन्दीप मण्डल,पत्रकार नरेश चन्द्र बरबरिया,मिथिलेश मिश्र,कवियत्री गायत्री मिश्र,कवि सत्येन्द्रनाथ चौधरी लगायत ६० गोटेक उपस्थिती छल।