आइ मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल ( MiLAF Nepal) द्वारा आयोजित पहिल साधारण सभा आ मासिक मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम,श्रृंखल...
आइ मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल ( MiLAF Nepal) द्वारा आयोजित पहिल साधारण सभा आ मासिक मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम,श्रृंखला १८ के संयुक्त कार्यक्रम श्री प वि मा विक प्राङ्गणमे प्रतिष्ठानक तदर्थ समितीक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र जीक अध्यक्षता,करूणा झा जीक प्रमुख आतिथ्य आ विद्यानन्द वेदर्दीके सञ्चालनमे सुसम्पन्न भेल।
कार्यक्रमक शुरूवात धीरेन्द्र प्रेमर्षीद्वारा रचित " डेग बढाबै चल रे मीता भऽ जाइ एक संगोर हम ॥ " गीतक वाचन आ शुभाष वीरपुरियाद्वारा गोसाउनि आ मिथिला वर्णन गीति-गायनसँ भेल।
उपाध्यक्ष रवेन्द्र रविद्वारा स्वागत मन्तव्य राखल गेल। तदर्थ समितक सचिव विद्यानन्द वेदर्दीद्वारा वार्षिक प्रतिवेदन आ कोषाध्यक्ष किरण झाद्वारा आर्थिक प्रतिवेदन प्रस्तुत कएल गेल।
तेजू मैथिलद्वारा आभाष लाभक गाएल 'हृदय ई फूलाएल तोरा देखिकऽ ' गजल ,वीरेन्द्र सप्तरीया द्वारा मैथिली भाषा अभियानक गीत आ किरण झाद्वारा मिथिलावर्णन गीत गाओल गेल। मैसापक सचिव श्याम सुन्दर यादवद्वारा शुभकामना व्यक्त कएल गेल। फोन लाईभमे जोड़ैत धीरेन्द्र प्रेमर्षिद्वारा मिलाफक वर्तमान गतिविधीक शुभकामना आ दूगजलक किछु शेर आ 'प्रेमक सीमा' कविता वाचन कएल गेल। प्रवीण नारायण चौधरीद्वारा समाजिक संजाल पर वर्तमानक चर्चा आ भविष्यक लेल शुभकामना सम्प्रेषित कएल गेल।
किरण झा,रमीला शाह,धीरेन्द्र मण्डल,मुकेश चौधरी,गजेन्द्र गजूर,कृष्ण मैथिल,प्रकाश साह,अभय यादव,नारायण यादव,ऊर्जा साह,विनोद यादव,रोशन शर्मा,युवराज यादव,राज राय,गायत्री मिश्र,शुशमा झा,मिथिलेश मिश्र सहित समुपस्थितिमे सम्पन्न साधारण सभासँ गठित नव कार्यसमिति निम्नानुसार अछि:
१) अध्यक्ष: श्रीराम कुमार मण्डल
२) उपाध्यक्ष: रवेन्द्र मड़र
३) सचिव: विद्यानन्द यादव
४) सह-सचिव: शुभाष प्रसाद यादव
५) कोषाध्यक्ष: किरण झा
सदस्य: शम्भू यादव ,
तेज नारायण यादव,
कंचन झा ,
गजेन्द्र राय,
ललिता झा,
हरेराम राय
कृष्ण कुमार खङ्ग
धीरेन्द्र मण्डल ।
निर्वाचन समितीक संयोजक देवेन्द्र मिश्र छलाह।सदस्य सब रमिला शाह आ करूणा झा छलीह । नव गठित कार्यसमितिकेँ अाइए सपत ग्रहण सम्पन्न भेल ।